काठमाण्डू, १९ माघः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की किछ मन्त्री पदसँ राजीनामा द क निर्वाचनमे भाग लेने आधारमे सरकारपर कोनो दलके प्रभाव रहल आरोप लगौनाइ उचित नै भेल बतौलैन अइछ ।
राष्ट्रिय सभाके आजुक बैसारमे सम्बोधन करैत प्रधानमन्त्री कार्की सरकार छोइड़ क चुनावमे भाग लेबाक विषय कोनो बेइमानी नै भेल स्पष्ट केलैन । “ओइ समयमे जेनजी समूहके आग्रहमे हुनकासभकेँ मन्त्री बनाएल गेल छल । जतेक दिन ओसभ सरकारमे छलैन इमानदारी पूर्वक काज केलैन । राजीनामा देलाक बाद चुनावमे भाग लेबए या अपन रुचीके क्षेत्रमे जा सकैत छैथ”, प्रधानमन्त्री कार्की कहलैन, “आन्तरिक सरकारक मन्त्री छोइड़ क निर्वाचनमे भाग लेबाक लेल गेल आधारमे सरकारमे राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी या कोनो दलके प्रभाव रहल बातमे कोनो सत्यता नै छै । हमसभ केकरो प्रभावमे नै छी । हमसभ अपने सेहो कोनो राजनीतिक व्यक्ति नै छी । तइ, एहन टिप्पणीसभक अर्थ नै छै ।”
वर्तमान सरकारमे मन्त्री भेल कुलमान घिसिङ, जगदीश खरेल, महावीर पुन आ बब्लु गुप्ता राजीनामा द क निर्वाचनक प्रतिस्पर्धामे छैथ ।रासस





