प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनः आयोगद्वारा २९ स्पष्टीकरण माँग


काठमाण्डू, १९ माघः निर्वाचन आयोग निर्वाचन आचारसंहिता उल्लङ्घन करैबला थप नौ गोटेसँ स्पष्टीकरण माँग केलक अइछ । शैनदिनधैर आयोगद्वारा २१ स्पष्टीकरण माँग कएल गेलमे रैबदिन आ सोमदिन थप नौ गोटेसँ स्पष्टीकरण माँग कएल गेल अइछ ।

आयोगक सहायक प्रवक्ता कुल बहादुर जिसीके कहब अनुसार बाजुरामे राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) के उम्मेदवार हेमराज थापा पिएस बानियाँ जेभी ठेक्का लेने मार्तडी–कोल्टी सड़क निर्माण परियोजनाक विषयकेँ ल क बागमती प्रदेशक मुख्यमन्त्री इन्द्र बहादुर बानियाँकेँ लक्षित करैत मुख्यमन्त्री कार्यालयमे आइब अपमानजनक आ धम्कीपूर्ण भाषा प्रयोग करबाक सङे सामाजिक संजालमे पोष्ट सेहो कएने उजुरी एलाक कारण स्पष्टीकरण पुछल गेल अइछ । अहाँ बागमती प्रदेशक मुख्यमन्त्री बानियाँके सम्बन्धमे अपमानजनक, धम्कीपूर्ण आ अपशब्दयुक्त अभिव्यक्ति देने छी या नै ? उजुरीमे उल्लेख भेल अनुसार आर्थिक स्रोत सङ्कलन करैत समय निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२ बमोजिम व्यवस्थाक पालन कएने छी या नै ? कहि उम्मेदवार थापाकेँ स्पष्टीकरण पुछल गेल ओ बतौलैन ।

निर्वाचन आचारसंहिता, २०८२ के दफा २१ के खण्ड (च), दफा २५ के उपदफा (१) के खण्ड (च) आ (ज) बमोजिम बाजुराके उम्मेदवार थापाकेँ तीन दिनमे जवाफ पेस करबाक लेल कहल गेल सहायक प्रवक्ता जिसी बतौलैन । निर्वाचन उम्मेदवार लक्षित भ्रामक/अमर्यादित सन्देश प्रकाशन तथा प्रसारण करैबला विभिन्न व्यक्ति तथा संचारमाध्यमके बारेमे आयोग प्रेस काउन्सिल नेपालकेँ कारबाहीके लेल सेहो पत्र पठौलक अइछ ।

तहिना, राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) झापा जिला निर्वाचन क्षेत्र नं. ५ के उम्मेदवार बालेन्द्र साहकेँ आयोग रैबदिन दोसर बेर स्पष्टीकरण पुछलक अइछ । सिभिल ड्रेसमे भेल प्रहरी बालेनकेँ लेल भोट माँइग रहल कहि श्रव्यदृश्य सामग्री प्राप्त भेलासँ साहसँ दोसर बेर स्पष्टीकरण पुछल गेल आयोग जनौलक अइछ । साहके निर्वाचन प्रचार-प्रसारके क्रममे हुनक कनिया सङे सिभिल ड्रेसमे भेल प्रहरी खटल सम्बन्धमे की केना भेल छल ? कहि आयोग स्पष्टीकरण पुछने अइछ । साहकेँ तीन दिनमे जवाफ पेस करबाक लेल कहल गेल आयोग जनौलक अइछ ।

नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी निर्वाचन आचारसंहिताके प्रतिकूल होएजँका प्रतिनिधि सभा सदस्य सिन्धुपाल्चोक जिला निर्वाचन क्षेत्र नं. १ के निर्वाचन कार्यालय बाहर अपन दलके निर्वाचन चिह्न पेन्ट करा क राखने कहि स्पष्टीकरण पुछलक अइछ । उजुरीमे उल्लेख भेल विषयमे की केना भेल अइछ ? यदि आचारसंहिताके उल्लिखित व्यवस्थाके प्रतिकूल होएजँका दलके निर्वाचन चिह्न प्रदर्शन कएने प्रमाणित भेलापर ओइ दलके जिला कार्य समितिकेँ प्रचलित निर्वाचन कानुनबमोजिम किया कारबाही नै कएल जाए ? अइ विषयमे आयोग ओएह क्षेत्रक उम्मेदवार माधव सापकोटासँ सेहो स्पष्टीरण माँग केलक अइछ ।

तहिना, आयोग रुद्र गिरी, मङ्गल प्रजा आ अशोक टमानीकेँ सेहो स्पष्टीकरण पुछने अइछ । आयोगद्वारा अखनधैर पुछल गेल २९ स्पष्टीकरणमध्ये १४ टाके जवाफ प्राप्त भेल सहायक प्रवक्ता जिसी बतौलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय