सर्लाहीमे पहिल बेर मायके नामसँ नागरिकता


बहरथवा (सर्लाही), २० माघः जिला प्रशासन कार्यालय सर्लाही पहिल बेर मायके नामसँ नागरिकता देलक अइछ । सोमदिन लालबन्दी नगरपालिका–७ निवासी राम मनोहर गुप्ताकेँ जिला प्रशासन कार्यालय मायके नामसँ नागरिकता प्रदान केलक अइछ ।

नेपाल नागरिकता ऐन, २०६३ दोसर संशोधन आ नागरिकता नियमावली, २०६३ चारिम् संशोधनक आधारमे बाबु विदेशी आ माय नेपाली भेल गुप्ताकेँ अङ्गीकृत नागरिकता प्रदान कएल गेल प्रमुख जिला अधिकारी रामुराज कँडरिया जानकारी देलैन ।

“ऐन आ नियमावली संशोधनक बाद जिला प्रशासन कार्यालय मायके नामसँ सोमदिन पहिल बेर नागरिकता जारी कएने छै”, प्रमुख जिला अधिकारी कँडरिया कहलैन, “अइ सङे बाबुके ठेगान नै भेल, विदेशी बाबु आ नेपाली मायसँ जन्मल सन्तानके लेल मायके नामसँ अङ्गीकृत नागरिकता प्राप्त करबाक सहज भेल छै ।” अइसँ जिलाके नागरिकताबिहीन नेपाली सन्तानक समस्या समाधान होबाक अपेक्षा कएल गेल ओ बतौलैन ।

संशोधन ऐनअनुसार हम दू हप्ता पहिने जिलाक २० पालिकामे परिपत्र कएने कहैत प्रजिअ कँडरिया ओएहअनुसार प्रक्रिया पूरा क नागरिकता जारी कएल गेल बतौलैन ।

नागरिकता नै भेलाक कारण शिक्षा आ सीप भेलाक बादो रोजगारीमे समस्या भेल, बैंक खातासँ ल क सिमकार्ड अपना नामसँ प्रयोग नै क सकल समस्या आब समाधान होबाक ओ विश्वास व्यक्त केलैन ।

“आइसँ आधिकारिक रूपमे हम नेपाली नागरिक भेल छी । नेपाली नागरिकसँ नेपाल भूगोलमे जन्मल एकटा सन्तान अपनाकेँ नेपाली करार करबाक सङ्घर्ष पीड़ादायी आ चुनौतीपूर्ण छै”, नागरिकता प्राप्त कएलाक बाद गुप्ता कहलैन । रासस
Imagesourse:hajurkonews.com

ताजा खबर
लोकप्रिय