महोत्तरी, २० माघः अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक तैयारी भ रहल समय महोत्तरी क्षेत्र नं. ३ के मतदाता सुशासनकेँ मुख्य मुद्दा बनौने अइछ । जिला सदरमुकामस्थित जलेश्वर नगरपालिकाके मतदातासभ सुशासनसहित सामाजिक न्यायके सहज पहुँच होबाक चाही से धारणा राखलैन ।
जलेश्वर नगरपालिकाके १२ टा वाड, मटिहानी नगरपालिकाके नौ, मनराशिशवा नगरपालिकाके–८, ९ आ १०, पिपरा गाउँपालिकाके–१, २, ३, ४, ५ आ ७ तथा एकडारा गाउँपालिकाके–१, २, ३, ४ आ ५ वाडक मतदाता चुनावी अभियानमे खटल दलके उम्मेदवारसँ कानुनी थिति आ विधिके प्रश्न करैत सुशासनक अनुभूति नै क सकल रोष व्यक्त केलैन ।
लोकतान्त्रिक मूल्यमान्यताकेँ आत्मसात कएने संविधान आ तदनुरुपके ऐन कानुन भेलाक बादो ओकर कार्यावंयन पक्ष स्वच्छ आ निष्पक्ष नै भेलासँ जनता सुशासनक अनुभूति नै क सकल मटिहानी–८ के मतदाता इसराफिल राइन बतौलैन ।
ओ कहलैन, “संविधान छै, कानुन छै । मुदा, कार्यावंयन पक्ष कमजोर छै । संविधान आ कानुनबमोजिम सब हकअधिकार सुनिश्चित होबाक चाही से जनताके इच्छा छै ।” सबमे सामाजिक न्यायके सहज पहुँच नै हएब आ संविधान निर्दिष्ट कएने संवैधानिक हकसँ गरिब जनता अधिकारसँ बञ्चित होबाक मुख्य समस्याके रूपमे रहल हुनक कहब छैन ।
कोनो एकटा योजनाके लेल पारदर्शिता आ जवाफदेहिता नै भेलासँ संस्थागत रूपमे समस्या भेल जलेश्वर–४ के धीरेन्द्र राय बतौलैन । अइ समस्याके समाधान करबाक लेल राजनीतिक इच्छा शक्ति आवश्यक होबाकपर जोड़ दैत ओ अगिला निर्वाचनमे दल आ उम्मेदवारसँ भ्रष्टाचार अन्त्यके लेल स्पष्ट योजना प्रस्तुत हएत से धारणा व्यक्त केलैन ।
कृषि अइ ठामक जनताके प्रमुख पेसा भेलाक बादो सरकारद्वारा कृषि क्षेत्रके लेल घोषणा कएल गेल सुविधा गामबस्तीके कृषकसभ उपभोग नै क सकल सेहो मतदाताके समस्या छै । एहन सुविधा पहुँच भेल व्यक्तिसभ मात्रे उपभोग कएलाक कारण वास्तविक कृषक समस्यामे भेल स्थानीय प्रवीण कर्ण बतौलैन । “काजमे पारदर्शी आ जवाफदेही थिति कायम कएलाक बाद मात्रे सुशासनके अनुभूति हएत”, ओ कहलैन ।
विकास निर्माणक काजके लेल बनैबला उपभोक्ता समितिसँ रकम प्रवाह करैबला अड्डाधैर ‘सेटिङ’ मे काज करबाक परम्परा विकास भेलासँ राजनीतिक क्षेत्र सेहो अविश्वासके पात्र बनल जलेश्वर–७ बखरीके हरिभुषण राय धारणा व्यक्त केलैन ।
जलेश्वर नगर क्षेत्र, एकडारा आ मटिहानीके बस्ती प्रत्येक साल बर्खामे डुबान होइत अइछ । रातु आ बिगही नदीके ताण्डव रोकबाक लेल नदी नियन्त्रण हेतु पक्की तटबन्ध होबाक चाही से जनताके माँग अइछ । ई समस्या बुझैबला आ सम्बोधन क सकबाक उम्मेदवार आवश्यक भेल जलेश्वर–८ के धिरु मण्डल बतौलैन ।
आसन्न निर्वाचनक लेल अइ ठाम २६ स्वतन्त्र आ १५ राजनीतिक दलसहित ४१ गेटे उम्मेदवार चुनावी मैदानमे छैथ । दलसँ एक आ स्वतन्त्र एकसहित दू गोटे महिला उम्मेदवार सेहो चुनावी मैदानमे अइछ । प्रतिस्पर्धामे रहल जसपा नेपाल, नेपाली कांग्रेस, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी, नेपाल जनता पार्टी, राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी, नेकपा (एमाले), राष्ट्र निर्माण दल आ नेपाल सङ्घीय समाजवादी पार्टी अइछ ।
तहनिा, श्रमसंस्कृति पार्टी, उज्यालो नेपाल पार्टी, नेपालका लागि नेपाली पार्टी, राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी, जनमत पार्टी, आमजनता पार्टी आ नेकपा (संयुक्त) सहितक दल सेहो अइ ठाम प्रतिस्पर्धामे अइछ । निर्वाचनक कारण उम्मेदवार आ दलक कार्यकर्ताके चहलपहल बढ़ल आ बस्तीबस्तीमे सर्वसाधारण करैबला चुनावी आँकलनसँ अखन महोत्तरी–३ मे चुनावी वातावरण बइन रहल अइछ ।
अइ क्षेत्रमे अइ बेर एक लाख १० हजार ४ सओ ३६ मतदाता अइछ । ई सङ्ख्या जिलाक अन्य तीन क्षेत्रसँ बेसी अइछ । अइ क्षेत्रके भारतसँ २५ किलोमिटर सीमा जुड़ल अइछ । भारतसँ सीमा जुड़लाक कारण अइ ठामक मतदानस्थल संवेदनशीलमे वर्गीकरण कएल गेल अइछ । अइ ठाम ७७ मतदानस्थलमे १ सओ ४२ मतदान केन्द्रके व्यवस्था कएल गेल जिला निर्वाचन कार्यालय महोत्तरी जनौलक अइछ । भारतसँ सीमा जुड़ल अइ क्षेत्रक मतदानस्थलके उच्च सुरक्षा प्रबन्ध कएल गेल प्रमुख जिला अधिकारी इन्द्रदेव यादव जानकारी देलैन । रासस
Imagesourse:nepalindata.com





