मौसम ठीक नै रहत तँ हिमाली जिलामे दोसर चरणमे निर्वाचन हेत: प्रधानमन्त्री कार्की


नवलपरासी (बर्दघाट सुस्तापूर्व)के कावासोती नगरपालिका–१ हात्तिखोरमे राष्ट्रिय सेवा दलके तालिम समापन कार्यक्रममे सहभागी भेलाक बाद प्रधानमन्त्री कार्की सञ्चारकर्मीसभसँ बातचित करैत कहलैन, “निर्वाचनक लेल सरकार आवश्यक सहयोग करत, विषेशत: हिमाली जिलामे मौसम अनुकूल नै भेल तँ दोसर चरणमे निर्वाचन कराएब ।” 

कम मतदाता भेल स्थानमे सवारीसाधनके प्रयोग क मतदाता पहुँचाइयोक निर्वाचन सम्पन्न करबाक उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री कार्की माैसम एकदमे प्रतिकुल रहत तँ दोसर चरणमे निर्वाचन करेबाक विषयमे सोचल जेबाक बतौलैन । अखनधैर कोनो कारण निर्वाचन परिवर्तन सम्बन्धति विषय चर्चा नै भेलासँ अगिला फागुन २१ गतेके निर्वाचनमे ध्यान देबाक ओ आग्रह केलैन । समयेमे निर्वाचन सम्पन्न क नवनिर्वाचित प्रतिनिधि राज्य व्यवस्था सम्हारैत देशकेँ नयाँ दिशादिस आगू बढ़ाएत ताहिमे  स्वयं विश्वस्त रहल प्रधानमन्त्री कार्की बतौलैन । 

“शान्तिपूर्ण रूपमे निर्वाचन सम्पन्न कराबए लेल हमरासभ शत प्रतिशत प्रयास कएने छी, निर्वाचन भयरहित वातावरणमे सफल हेत”, ओ कहलैन ।

विशेष परिस्थितमे निर्वाचन भेलासँ किछ चुनौती एबो करत तँ समाधान करैत निर्वाचन कएल जेबाक प्रधानमन्त्री कार्की बतौलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय