प्रादेशिक अस्पताल सिरहाके दू पूर्वप्रमुखसहित १० गोटे विरुद्ध भ्रष्टाचार मुद्दा


सिरहा, २१ माघः प्रादेशिक अस्पताल सिरहामे बेमारीसभसँ सङ्कलन भेल रकममध्ये ३८ लाख ७७ हजार ७ सओ २४ टका सरकारी खातामे बिना जमा कएने आपसी मिलिभगतमे भ्रष्टाचार कएने अभियोगमे अख्तियार दुरूपयोग अनुसन्धान आयोग विशेष अदालतमे आरोपपत्र दायर केलक अइछ ।

अस्पतालके ओपिडीलगायत विभिन्न काउन्टरसँ सङ्कलन भेल राजस्व रकम सरकारी खातामे जमा नै क कर्मचारीसभ व्यक्तिगत प्रयोग कएने अनुसन्धानसँ पुष्टि भेलाक बाद आयोग दू पूर्वअस्पताल प्रमुखसहित १० गोटे विरुद्ध मङ्गलदिन मुद्दा दायर केलक अइछ ।

अख्तियार अनुसार आर्थिक वर्ष २०८०/०८१ मे अस्पतालके आठटा बिल काउन्टरसँ जमा तीन करोड़ ८७ लाख ६६ हजार ९ सओ ७४ टका सङ्कलन भेल सफ्टवेयरमे दर्ता भेल छल । मुदा, अस्पतालक आधिकारिक अभिलेखमे तीन करोड़ ४८ लाख ८९ हजार २ सओ ५० टका मात्रे दाखिला भेल देखल गेल अइछ । सफ्टवेयरमे देखल गेल आ बैंकमे जमा कएल गेल रकम बीचके ३८ लाख ७७ हजार ७ सओ २४ कर्मचारीसभ बदनियतपूर्वक हिनामिना कएने आयोग जनौलक अइछ ।

अस्पतालक तत्कालीन प्रमुखसभ डा. नागेन्द्र प्रसाद यादव आ डा. सरोज यादवके सफ्टवेयरमार्फत दैनिक आम्दानीके विवरण जाँच करबाक अधिकार भेलाक बादो रकम कम जमा भेल जानकारी होइते मौन रहलासँ अन्य कर्मचारीकेँ भ्रष्टाचार करबामे आसान भेल अख्तियारक दाबी अइछ ।

अइ प्रकरणमे आयोग अस्पतालक तत्कालीन प्रमुखद्वय डा. नागेन्द्र आ डा. सरोज, तत्कालीन प्रशासन प्रमुख अशोक कुमार सिंह आ तत्कालीन लेखा प्रमुख अशोक कुमार यादवकेँ जनही ३८ लाख ७७ हजार ७ सओ २४ बिगो कायम क विपक्षी बनाएल गेल अइछ ।

तहिना, बिल काउन्टरमे कार्यरत अहेब श्याम कुमार मण्डलकेँ २५ लाख ४७ हजार ४ सओ १७ टका, सहायक कर्मचारीस सरस्वती कुमारी यादवकेँ पाँच लाख दू हजार ८ सओ १३ टका, अजय कुमार मण्डलकेँ तीन लाख ७९ हजार २१ टका, पूजा कुमारी यादवकेँ दू लाख ८८ हजार २ सओ २९ टका आ रोशन कुमार यादवकेँ एक लाख ६४ हजार ६ सओ ५९ टका बिगो कायम क मुद्दा दायर कएल गेल अइछ ।

आयोगक प्रवक्ता सुरेश न्यौपानेके कहब अनुसार अइ भ्रष्टाचार प्रकरणमे संलग्न तत्कालीन लेखा प्रमुख रत्न प्रसाद मण्डलके मृत्यु भ चुकलाक बादो सरकारी बिगो असुल करबाक प्रयोजनक लेल हुनक कनिया मुस्कान कुमारी मण्डलकेँ प्रतिवादी बनाएल गेल अइछ । मृतक मण्डलके हकमे फौजदारी कसुरके कैद सजाय माँगदाबी नै मिलत तइ भ्रष्टाचार निवारण ऐन आ मुलुकी फौजदारी कार्यविधि संहिताके व्यवस्थाअनुसार हानिनोक्सानी भेल ३८ लाख ७७ हजार ७ सओ २४ टका हुनक हक लागैबला कनियासँ असुल करबाक लेल माँग कएल गेल अइछ । रासस
Imagesourse:drishtinews.com

ताजा खबर
लोकप्रिय