काठमाण्डू, २५ माघः गृहमन्त्री ओम प्रकाश अर्याल सक्षम आ सुदृढ़ प्रहरी सङ्गठनक लेल रणनीतिक सम्मेलन महत्त्वपूर्ण भेल बतौलैन अइछ ।
नेपाल प्रहरी रणनीतिक सम्मेलन–२०८२ के आइ उद्घाटन करैत ओ जेनजी प्रदर्शनक कारण भौतिक आ मानसिक रूपसँ कमजोर भेल प्रहरीके मनोबल उच्च बनेबाक लेल ई सम्मेलन सहयोगी भूमिका निर्वाह करत से विश्वास व्यक्त केलैन ।
आमनागरिकके अपेक्षाअनुसार प्रहरी सङ्गठन मजबुत बनेबाक लेल अइ सम्मेलनसँ सहयोग होबाक ओ बतौलैन । सम्मेलनसँ प्राप्त सुझावकेँ समैट क आगु बढ़बाक लेल गृह मन्त्रालयके साथ आ सहयोग रहबाक गृहमन्त्री अर्याल बतौलैन । प्रहरी व्यवस्थापन आ परिचालनमे देखल गेल समस्याके बारेमे सम्मेलनमे गहन परामर्श हएत से ओ विश्वास व्यक्त केलैन ।
प्रहरी महानिरीक्षक दान बहादुर कार्की प्रविधिके प्रयोग सङे बितल समय बइढ़ रहल विभिन्न प्रकारक अपराधकेँ नियन्त्रण करबाक लेल अइ सम्मेलनसँ सहयोग होबाक बतौलैन । “परम्परागत अपराध सङे सङ्गठित अपराध, साइवर अपराध, अन्तर्राष्ट्रियस्तरमे होएबला अपराधसँ देश आ समाज जटिल बइन रहल छै । एकर रोकथामक लेल सम्मेलनमे गम्भिर परामर्श हएत”, ओ कहलैन । समाजमे होएबला अपराध नियन्त्रणक लेल विषयविज्ञके राय आ सुझाव लेबाक लेल सम्मेलनक आयोजन कएल गेल ओ बतौलैन ।
दू दिनधैर चलैबला सम्मेलनमे समाजमे होएबला विभिन्न प्रकारक अपराध आ अपराध नियन्त्रणक लेल अपनेबाक उपायक बारेमे परामर्श होबाक प्रहरी प्रधान कार्यालय जनौलक अइछ । रासस





