काठमाण्डू, २५ माघः स्थानीय बजारमे आइ सोना चाँदीके दाम फेरसँ बढ़ल अइछ । शुक्रदिनक तुलनामे आइ दूनु धातुके दाम बढ़ल अइछ ।
नेपाल सुनचाँदी व्यवसायी महासङ्घक अनुसार आइ एक तोला सोनाके दाम तीन लाख ५ सओ टका आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम पाँच हजार १० टका कायम भेल अइछ ।
शुक्रदिन एक तोला सोनाके दाम दू लाख ९१ हजार टका आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम चाइर हजार ७ सओ १० टका कायम भेल छल । तहिना, वृहस्पैतदिन एक तोला सोनाके दाम दू लाख ९५ हजार २ सओ टका आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम चाइर हजार ९ सओ ८० टका कायम भेल छल ।
तहिना, बुधदिन एक तोला सोनाके दाम तीन लाख चाइर हजार ७ सओ टका आ ओएह परिमाणके चाँदीके दाम पाँच हजार ६ सओ टका कायम भेल छल, तँ मङ्गलदिन एक तोला सोनाके दाम दू लाख ९० हजार ३ सओ टका आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम पाँच हजार ३ सओ ३५ टका कायम भेल छल ।
अन्तर्राष्ट्रिय संचारमाध्यमसभक अनुसार आइ अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे एक औँस सोना चाइर हजार ४ सओ ६७ आ ओएह परिमाणक चाँदी ७७ अमेरिकी डलरमे कारोबार भ रहल अइछ । रासस





