निर्वाचनक २४ दिनः आयोगक ध्यान मतदाता शिक्षा कार्यक्रममे केन्द्रीत


काठमाडौँ, २६ माघः निर्वाचन आयोग आम मतदाताकेँ निर्वाचनक बारेमे जानकारी देबाक उद्देश्यसँ मतदाता शिक्षा कार्यक्रमकेँ तीव्र गतिमे आगु बढ़ौलक अइछ ।

मतदाताकेँ मताधिकारक बारेमे सचेत करबाक तथा सही मतसङ्केतक लेल प्रशिक्षित करबाक उद्देश्यसँ निर्वाचन आयोग डिजिटल प्लेटफर्ममे निरन्तर सचेतना सामग्री सम्प्रेषण क रहल अइछ । मतदाताकेँ सही आ वास्तविक सूचना प्रदान करबाक तथा मत बदर होबाक अवस्थाकेँ कम करबाक लेल शिक्षा कार्यक्रम आगु बढ़ाएल गेल आयोग जनौलक अइछ ।

डिजिटल प्लेटफर्ममे भ रहल सचेतनाकेँ आयोग वाडस्तरमे पहुँचेबाक लक्ष्यसहित इएह माघ १९ गतेसँ मतदाता शिक्षासम्बन्धी विशेष कार्यक्रम स्वीकृत क कार्यावंयनमे आनने अइछ । स्वीकृत कार्यक्रम अनुसार प्रत्येक स्थानीय तहके हरेक वाडमे एक/एक गाेटे स्वयंसेवक परिचालन हएत । सम्बन्धित निर्वाचन कार्यालयसँ छनौट प्रक्रिया आगु बढ़ाबैजका स्थानीयस्तरमे कार्यरत बाल विकास सहजकर्ता या मातृशिशु कार्यकर्ता या स्थानीय स्वास्थ्य स्वयंसेविका या सामुदायिक अध्ययन केन्द्रक परिचालकमध्येसँ स्वयंसेवक छनौट करबका विधि निर्धारण कएल गेल अइछ ।

मतदाता शिक्षा सामग्री उत्पादन आ प्रभावकारी परिचालनक लेल सरकारी स्वामित्वमे रहल संचारमाध्यम तथा विभिन्न क्षेत्रक नियामक निकायसँ सेहो सम्झौता सम्पन्न भेल अइछ । राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस), सार्वजनिक सेवा प्रसारण नेपाल, गोरखापत्र संस्थान, विज्ञापन बोर्ड आ संचारमाध्यमक नियामक निकाय प्रेस काउन्सिल नेपालसँ आयोग सहमति क चुकल अइछ ।

प्रभावकारी मतदाता शिक्षासँ मतदाताकेँ मतदान प्रक्रिया, मतसङ्केत आ मिथ्या सूचना पहिचान करबाक क्षमता अभिवृद्धि होबाक तथा स्वतन्त्र, निष्पक्ष तथा विश्वसनीय निर्वाचन सुनिश्चित करबामे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करत से आयोगक विश्वास अइछ । प्रतिनिधि सभाके निर्वाचन अगिला फागुन २१ गतेके लेल निर्धारण कएल गेल अइछ । प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीमार्फत १ सओ ६५ सदस्य आ समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीमार्फत १ सओ १० गोटे निर्वाचित होबाक व्यवस्था अइछ ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय