सुरुङ्गा (झापा) २६ माघः झापामे सवारी दुर्घटना होबाक दर बढ़ल अइछ । जिला ट्राफिक प्रहरी कार्यालयके तथ्याङ्क अनुसार बितल २५ दिनमे जिलाके विभिन्न स्थानमे भेल सवारी दुर्घटनामे १८ गोटेके मृत्यु भेल अइछ । इएह माघ १ गतेसँ माघ २५ गतेधैर दुर्घटनामे ओकरासभक मृत्यु भेल अइछ ।
अर्जुनधारा नगरपालिका–७ स्थित बिरिङ खोलामे रैबदिन भेल ट्याक्टर दुर्घटनामे सहचालकके मृत्यु भेल छल । बिरिङ खोलासँ बालु लोड क आबैत काल प्र १–०१–००१ त ९०१० नं. के ट्याक्टरके डलामे सवार अर्जुनधारा–३ निवासी हर्क श्रेष्ठके १६ वर्षक बेटा सरोज श्रेष्ठके ट्याक्टरसँ खसलाक बाद मृत्यु भेल छल ।
तहिना, तीन दिन पहिने स्कुटीके ठोकरसँ घायल भेल अर्जुनधारा–३ निवासी ४५ वर्षक राजन बाँस्कोटाके इलाजक क्रममे रैबदिन मृत्यु भेल छल । बिर्तामोड़स्थित बिएण्डसी अस्पतालमे इलाजमे रहल बाँस्कोटाके रैबदिन मृत्यु भेल जिला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय झापाके प्रहरी निरीक्षक सन्तोष राई जानकारी देलैन ।
माघ २१ गते भोर अर्जुनधारा–३ गरुवा चौकस्थित बिर्तामोड़–खुदुनाबारी सड़कखण्डमे बिर्तामोड़सँ खुदुनाबारीदिस जा रहल प्र १–०१–०१८ प १६७ नं. के स्कुटी पैदलयात्री बाँस्कोटाकेँ ठोकर देने छल । स्कुटी चालक इलामके माई नगरपालिका–३ निवासी ३५ वर्षीया अमृता राई आ स्कुटी प्रहरी नियन्त्रणमे अइछ ।
तहिना, माघ २१ गते दमकमे टिपरके ठोकरसँ दू गोटेके मृत्यु भेल छल । माघ १ गते तीन गोटेके मृत्यु भेल छल, तँ ओइके बाद जिलामे दैनिक सवारी दुर्घटनासँ मानवीय क्षति भ रहल अइछ ।रासस
Imagesourse:jhapaonline.com





