राष्ट्रपतिद्वारा टुँडिखेलमे महाशिवरात्रि बढ़ाइँ अवलोकन


काठमाण्डू, ३ फागुनः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल महाशिवरात्रि तथा २ सओ ६३म सेना दिवसके अवसरमे सैनिक मञ्च टुँडिखेलमे आइ आयोजित विशेष समारोहमे सहभागी भेल छैथ । ओइ अवसरमे राष्ट्रपति पौडेल सैनिक स्मारकमे पुष्पहार अर्पण क श्रद्धाञ्जली व्यक्त करबाक सङे नेपाली सेनाद्वारा अर्पण कएल गेल सलामी ग्रहण केलैन ।

राष्ट्रपति पौडेल नेपाली सेनाके परमाधिपति सेहो छैथ । नेपाली सेना महाशिवरात्रिके दिनकेँ सेना दिवसके रूपमे मनाबैत आएल अइछ । शास्त्रीय मान्यताअनुसार शिवकेँ शांति आ सुरक्षाक प्रतीकके रूपमे मानल जाइत अइछ ।

समारोहमे राष्ट्रपति पौडेल नेपाली सेना, सैनिक जनसम्पर्क तथा सूचना निर्देशनालयद्वारा प्रकाशित ‘सिपाही–२०८२’ वार्षिक पत्रिकाके विमोचन सेहो केलैन । ‘फ्रि फल जम्प’ मे पहिल स्थान हासिल केनिहार प्रमुख सेनानी विवेक विक्रम शाह आ दोसर स्थान हासिल केनिहार हुद्दा रमेश कुमार चौधरीकेँ ओ पुरस्कार प्रदान केलैन । सेना दिवस समारोहमे ब्याण्ड प्रस्तुत करैबला भारतीय, बेलायती आ अमेरिकी सेनाक टोली प्रमुखकेँ राष्ट्रपति पौडेल उपहार प्रदान केलैन ।

तहिना, सेनाके हेलिकप्टर आ ड्रोनमार्फत पुष्पवृष्टि करबाक सङे राष्ट्रिय झण्डा आ ‘सेना दिवस–२०८२’ लिखल ब्यानर प्रदर्शन कएल गेल छल । ओइ अवसरमे सेना राइफल आ तोपसँ महाशिवरात्रि बढ़ाइँ तथा कवाज प्रस्तुत कएने छल । समारोहमे सेनाद्वारा विभिन्न रणकौशल तथा परम्परागत विविध कला, नृत्य आ सङ्गीतक धुन प्रस्तुत कएल गेल । कार्यक्रममे सेनाके टुकड़ी मार्चपास सेहो प्रस्तुत कएने छल ।

ओइ अवसरमे नेपाली सेना प्रयोग करैत आएल विभिन्न प्रकारक हातहतियार, उपकरण आ सवारी साधन प्रदर्शन कएल गेल छल ।

समारोहमे उपराष्ट्रपति राम सहाय प्रसाद यादव, प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की आ प्रधानन्यायाधीश प्रकाशमान सिह राउत आ राष्ट्रिय सभाक अध्यक्ष नारायण प्रसाद दाहाल उपस्थित छलैन । तहिना, नेपाल सरकारक मन्त्रीगण, पूर्वमन्त्री, संवैधानिक निकायक प्रमख एवं पदाधिकारी, नेपाल सरकारक उच्चपदस्थ अधिकारी, सुरक्षा निकायक प्रमुख, नेपालस्थित कूटनीतिक नियोगक प्रमुख एवं प्रतिनिधि तथा समाजक लब्ध प्रतिष्ठित महानुभाव सेहो शिवरात्रि बढ़ाइँ कार्यक्रममे सहभागी छलैन ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय