काठमाण्डू, ३ फागुनः आइसिसी टी–२० विश्वकप अन्तर्गत आइ भेल तेसर खेलमे वेस्ट इन्डिजसँ नौ रनसँ पराजित होइत नेपाल समूह चरणसँ बहराएल अइछ ।
लगातार तीन बेर पराजित भेलासँ नेपाल समूह चरणसँ हटल छै । अइसँ पहिने इटली आ इङल्यान्डसँ भेल खेलमे नेपाल पराजित भेल छल ।
भारतके मुम्बईस्थित वानखेडे रङ्गशालामे आइ भेल खेलमे नेपाल दिएके १३४ रनके लक्ष्य वेस्ट इन्डिज १५.२ ओभरमे एक विकेटके क्षतिमे पूरा केलक अइछ । रासस
Imagesourse:





