काठमाण्डू, ४ फागुनः पेट्रोलियम पदार्थके मूल्य समायोजन कएल गेल अइछ । नेपाल आयल निगम आइसँ लागू होएजका पेट्रोल, डिजल आ मट्टीतेलके दाम समायोजन केलक अइछ ।
निगमके अनुसार पेट्रोलमे प्रतिलिटर एक टका, डिजल टका आ मट्टीतेलमे प्रतिलिटर तीन टकासँ दाम बढ़ल अइछ । नयाँ दामअनुसार, काठमाण्डू, पोखरा आ दिपायलमे पेट्रोलक दाम प्रतिलिटर १ सओ ५६ टका कायम भेल अइछ ।
तहिना, सुर्खेत आ दाङमे प्रतिलिटर १ सओ ५५ टका निर्धारण कएल गेल अइछ । चारआली, विराटनगर, अमलेखगञ्ज, भलवारी, नेपालगञ्ज, धनगढी आ वीरगञ्जमे पेट्रोलक दाम प्रतिलिटर १ सओ ५३ टका ५० पैसा कायम भेल अइछ । तहिना, मट्टीतेलके दाम प्रतिलिटर १ सओ ४२ टका कायम भेल निगम जनौलक अइछ ।रासस
Imagesourse:aarthiksanjal.com





