महाशिवरात्रिः पशुपतिनाथमे चाइर प्रहरके पूजा सम्पन्न


काठमाण्डू, ४ फागुनः पशुपतिनाथमे चाइर प्रहरके पूजा सम्पन्न भेल अइछ । पशुपति क्षेत्र विकास कोषके अनुसार महाशिवरात्रि भेलाक कारण रातिभैर मन्दिरमे भक्तजनसभक भीड़ लागल छल, तँ मन्दिरके द्वारसभ खुला छल ।

रैबदिन सूर्यास्तके बाद सुरु भेल महाशिवरात्रिके चाइर प्रहरके पूजा आइ भोर ६ बजे सम्पन्न भेल अइछ । महाशिवरात्रिके अवसरमे पशुपतिनाथलगायत देशभैरके शिवालयमे शुक्रदिनसँ सुरु भेल भक्तजनक चहलपहल आइ भोरधैर कायम छल ।

तहिना, राजधानी आ देशभैरके अन्य शिवालयमे सेहो रातिधैर भक्तजनके लाइन लागल छल । मध्यरातिमे फागुन कृष्ण चतुर्दशी तिथिके दिन प्रत्येक साल महाशिवरात्रि पाबैन विशेष रुपमे मनाओल जाइत अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय