निर्वाचन आचारसंहिता कार्यावंयनमे मुख्यमन्त्रीके जोड़


महेन्द्रनगर (धनुषा), ४ फागुनः मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव स्वच्छ निर्वाचन लोकतन्त्रके आधारस्तम्भ भेल बतौलैन अइछ ।

निर्वाचन आयोग आ नेपाल कानून समाजद्वारा आइ जनकपुरधाममे आयोजित ‘निर्वाचन आचारसंहिताके प्रभावकारी कार्यावंयन आ सरोकारवालासभक भूमिका’ शीर्षकमे आयोजित परामर्श कार्यक्रममे ओ निर्वाचन आचारसंहिताके पूर्ण पालन बिना लोकतान्त्रिक मूल्य–मान्यताके संरक्षण सम्भव नै होबाक बतौलैन ।

राजनीतिक दल, उम्मेदवार, सरकारी निकाय, सुरक्षाकर्मी, संचारमाध्यम तथा नागरिक समाज सबके अपन–अपन जिमेवारी इमान्दारीपूर्वक निर्वाह करबापर मुख्यमन्त्री यादव जोड़ देलैन ।

निर्वाचन आयुक्त सगुन शम्शेर जवरा निर्वाचन आचारसंहिता केवल कानुनी दस्तावेज मात्रे नै भ स्वच्छ निर्वाचनक नैतिक आधार भेल बतौलैन अइछ । निर्वाचनकेँ मर्यादित आ पारदर्शी बनेबाक लेल सरोकार भेल सबके सझिया प्रतिबद्धता अपरिहार्य भेल ओ बतौलैन ।

आचारसंहिता उल्लङ्घनमे आयोग शून्य सहनशीलताके नीति अवलम्बन करबाक स्पष्ट करैत अनुगमन संयन्त्र सुदृढ़ बनाएल गेल आयुक्त जवरा जानकारी देलैन ।

परामर्शमे विभिन्न राजनीतिक दल, सरकारी निकाय, कानुन व्यवसायी, संचारकर्मी तथा नागरिक समाजक प्रतिनिधिसभक सहभागिता छलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय