काठमाण्डू, ६ फागुनः चन्द्रागिरी नगरपालिका–२ नागढुङ्गास्थित ‘चेक प्वाइन्ट’सँ १२ लाख टका बराबरके चाँदीसहित एक गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।
वीरगञ्जसँ काठमाण्डू आइब रहल यात्रीवाहक बसमे शङ्काके आधारमे चेकजाँच कएलापर पर्साके फेटा गाउँपालिका–६ के आसु साबके ब्यागसँ गैरकानुनी रूपमे आनल गेल करिब तीन किलो चाँदीके दाना भेटल नागढुङ्गास्थित प्रहरी प्रभाग जनौलक अइछ ।
चाँदीसहित अभियुक्तकेँ थप अनुसन्धानक लेल त्रिभुवन विमानस्थल भंसार कार्यालयमसक्ष पेस कएल गेल काठमाण्डू जिला प्रहरी परिसरक प्रवक्ता पवन कुमार भट्टराई राससकेँ बतौलैन ।रासस





