ठमाण्डू, ८ फागुनः आइ विश्व सामाजिक न्याय दिवस विभिन्न देशमे विविध कार्यक्रमसहित मनाओल जा रहल अइछ । हरेक वर्ष अन्तर्राष्ट्रिय श्रम सङ्गठन (आईएलओ)के तत्वावधानमे ई दिवस मनाएल जाइत अइछ ।
सन् २००७ नोभेम्बर २६ मे संयुक्त राष्ट्रसङ्घके महासभा प्रस्ताव पारित करैत सन् २००९ सँ हरेक वर्ष फरवरी २० मे ई दिवस मनेबाक निर्णय कएने छल ।
सामाजिक न्याय, समान अवसर, श्रम अधिकार आ गरिमायुक्त काजक प्रवर्द्र्धनक लेल विश्व समुदायकेँ एकजुट होबाक लेल आह्वान केनाइ अइ दिवसके मुख्य उद्देश्य अइछ ।रासस





