काठमाण्डू, २ चैतः सर्वोच्च अदालत राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) के सभापति रवि लामिछाने विरुद्ध सम्पत्ति शुद्धिकरण आ सङ्गठित अपराध मुद्दा फिर्ता करबाक निर्णय विरुद्धक रिट निवेदनमे आइ सुनुवाइ करए लागल अइछ ।
न्यायाधीशद्वय सारङ्गा सुवेदी आ सुनिल कुमार पोखरेलक संयुक्त इजलास रैबदिन मुद्दामे सुनुवाइ नै कएलाक बाद आइ सुनुवाइ होबए लागल अइछ ।
अइसँ पहिने, सर्वोच्च अदालतक न्यायाधीशद्वय सपना प्रधान मल्ल आ श्रीकान्त पौडेलके संयुक्त इजलास उक्त निवेदनकेँ नियमित सुनुवाइ करबाक कहैत रैबदिन पेस करबाक लेल आदेश देने छल ।
महान्यायाधिवक्ता सविता भण्डारी बराल लामिछाने विरुद्ध पहिनेके सरकारक समयमे लगाएल गेल सम्पत्ति शुद्धिकरण आ सङ्गठित अपराधक मुद्दा फिर्ता करबाक निर्णय कएने छलैन । उक्त निर्णय विरुद्ध युवराज पौडेल, वरिष्ठ अधिवक्ता दिनेश त्रिपाठी आ अधिवक्ता आभास रेग्मी सर्वोच्च अदालतमे अलग अलग रिट निवेदन दायर कएने छलैन । (रासस)





