एनपीएल : १५० खेलाड़ीके अन्तिम सूची घोषणा


काठमान्डू, २१ साओन : घरेलु मैदानमे आयोजना होएबला दोसर संस्करणके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपीएल)के खेलाड़ी छनाैटक लेल होएबला अक्सनमे आइ १५० गोटे खेलाड़ीके अन्तिम सूची घोषणा भेल अइछ ।

नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) आइ सार्वजनिक कएल गेल सूचीमे ४५८ गोटे खेलाड़ी दर्ता करौने छल, जाहिमेसँ ई खेलाड़ी सबके अन्तिम सूची घोषणा कएल गेल अइछ । एनपीएलमे सहभागी आठ टा टोलीद्वारा इच्छा कएल गेल तथा क्यानके प्राविधिक टोलीद्वारा बनाएल गेल मापदण्डअनुसार ई खेलाड़ी सबकेँ अन्तिम सूचीमे समावेश कएल गेल अइछ, क्यान जनौलक अइछ ।

ई खेलाड़ी सबकेँ विभिन्न श्रेणीमे विभाजन कएल गेल अइछ । एहिमे श्रेणी ‘ए’मे आठ गोटे खेलाड़ी पड़ल छैथ । एहिमे अर्जुन साउद, दिलीप नाथ, देव खनाल, पवन सर्राफ, शरद भेष्वाकर, मोहम्मद आदिल अन्सारी, सूर्य तामाङ आ सुमन गौतम छैथ ।

ओहिना, श्रेणी ‘बी’मे अनिल खरेल, अर्जुन कुमाल, दीपक बोहोरा, कृष्ण कार्की, प्रज्वल थापासहित ३५ गोटे तथा श्रेणी ‘सी’ मे १०७ गोटे खेलाड़ी छैथ । ओइ प्रतियोगिताक लेल इएह साओन २४ गते अक्सन होबाक क्यान जनौलक अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय