काठमाण्डू, २९ साओनः अस्ट्रेलिया भ्रमणमे रहल नेपाली राष्ट्रिय क्रिकेट टिम क्रिकेट एसिटी आ साउथ अस्ट्रेलियासँग पाँचटा अभ्यास खेल खेलाएत।
नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) आइ प्रेस विज्ञप्ती जारी करैत नेपाली टिम इएह भादव १० गतेसँ १४ गतेधैर पाँचटा अभ्यास शृङ्खला खेलत से जनौलक अइछ ।
नेपाल भादव १० गते एसिटी तथा भादब १२ गते साउथ अस्ट्रेलियासँ दु–दु टा ट्वान्टी–ट्वान्टी खेल खेलत । पहिल खेल स्थानीय समय अनुसार भोर ४:४५ आ दोसर खेल ९:४५ मे सुरु हएत ।
तहिना नेपाल भादबक १४ गते साउथ अस्ट्रेलियासँ एक दिनमे खेलाएत । यी खेल भोर ५:४५ सँ सुरु हाएत ।
अइ अभ्यास शृङ्खलासँ पहिने नेपाल अस्ट्रेलियाके डार्बिनमे टप एन्ड टी–२० सिरिज सेहो खेलत । ओ सिरिज आइएसँ सुरु हएत आ भादब ८ गते तक चलत ।
नेपाल अस्ट्रेलियाके बिग ब्यास टिमक एकेडेमी टिमसहित पाकिस्तान आ बङ्गलादेशके ‘ए’ टिमसँ सेहो प्रतिस्पर्धा करत से क्यान जनौने अइछ । नेपाली टिम आबैबला अक्टुबरमे ओमानमे आयोजना होबए जा रहल आइसिसी पुरूष टी–२० विश्वकप छनोटक तयारीक लेल ई खेलसभ खेलए लागल अइछ ।
रासस





