चक्कु प्रहारसँ रौतहटमे एक गोटेके मृत्यु


रौतहट, ६ भादबः यमुनामाई गाउँपालिका–५ फतुवाके २१ वर्षक एक गोटे युवक साहबुदिन मियाँकेँ चक्कु प्रहारसँ मृत्यु भेल अइछ ।

वृहस्पैतदिन बेरिया ३ बजे गौर नगरपालिका–३ के सोनु नामक सनोज रामसङे विवाद भेलाके बाद ओ मियाँकेँ चक्कु प्रहार कएने छल ।

जिल्ला प्रहरी कार्यालयके अनुसार गौर नगरपालिका–८ बाँसक बारीमे गाँजा सेवन करबाक क्रममे दुनु गोटे बीच विवाद भेल रहे । विवादक क्रममे राम अचानक मियाँपर चक्कु प्रहार करैत घायल बनौने छल । मियाँके पेट, माथा, छाती आ पैरपर गम्भीर चोट लागल छल । गम्भीर घायल भेल मियाँकेँ इलाजक क्रममे प्रादेशिक अस्पताल गौर पहुँचेलापर डाक्टर हुनका मृत घोषणा कएने बात जिल्ला प्रहरी प्रमुख प्रहरी उपरीक्षक नेत्रविक्रम गिरी बतौलैन ।

लागुऔषध सेवन क चक्कु प्रहार कएने अभियोगमे रामके नियन्त्रणमे ल क प्रहरी अनुसन्धान सुरु कएने अइछ । मृतकके लाश सनाखतके बात परिवारके जिम्मा देल गेल अइछ । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको