काठमाण्डू, १४ भादबः वर्षाके कारण देशक विभिन्न भागमे बाइढ़ आ भुस्खलनसँ ९ टा राजमार्ग पूर्ण रुपमे अवरुद्ध भेल अइछ ।
प्रहरी प्रधान कार्यालयके अनुसार सङ्खुवासभाके भोट खोलालगके कोशी राजमार्ग, रसुवाके नेपाल–चीन जोड़ैबला पुल, रसुवाके पासाङल्हामु राजमार्ग, सिन्धुपाल्चोकके अरनिको राजमार्ग पूर्ण रुपमे अवरुद्ध भेल अइछ ।
बागलुङके कालीगण्डकी करिडोर, म्याग्दीके बेनी–दरबाङ सड़क, रुकुमपश्चिमके जाजरकोट, डोल्पा भेरी करिडोर आ दार्चुलाके गोकुलेश्वर–दार्चुला सड़क पूर्ण रुपमे अवरुद्ध भेल बताओल गेल अइछ ।
तहिना, तेह्रथुमके मध्यपहाडी लोकमार्ग, रसुवाके उत्तरगया, पासाङल्हामु राजमार्ग आ पृथ्वी राजमार्ग एकतर्फी संचालन भेल छै ।
नवलपरासी पूर्वके कालीगण्डकी करिडोर, तनहुँके पृथ्वी राजमार्ग, दाङके राप्ती राजमार्ग आ अर्घाखाँचीके सालझण्डी ढोरपाटन सडक खण्ड एकतर्फी संचालन भेल बताओल गेल अइछ । रासस





