भादब २२ गते खग्रास चन्द्र ग्रहण लागत


काठमाण्डू, १६ भादबः इएह भादब २२ गते भाद्र शुक्ल पूर्णिमाके दिन खग्रास चन्द्र ग्रहण लागत से नेपाल पञ्चाङ्ग निर्णायक विकास समिति जनौने अइछ ।

ग्रहण रैबदिन २२ गते राइत १० बाइज क ११ मिनेटमे स्पर्श करत समिति स्वीकृति देने पञ्चाङ्गमे उल्लेख अइछ । राइत ११ बाइज क ५६ मिनेटमे चन्द्र ग्रहणके मध्य हएत । राइत १ बाइज क ४१ मिनेटमे ग्रहण समाप्त हएत समितिक पूर्वअध्यक्ष प्राध्यापक श्रीकृष्ण अधिकारी जानकारी देलैन । साढे तीन घण्टाधैर काठमाण्डूसँ चन्द्र ग्रहण देखल जेबाक ओ बतौलैन ।

ई ग्रहण वि.सं. २०८२ के पहिल ग्रहण अइछ । अइ साल आगामी फागुन शुक्ल पूर्णिमामे सेहो खण्डग्रास चन्द्र ग्रहण लागत से समिति जनौने अइछ । ग्रहणमे बौआबुच्ची, वृद्धवृद्धा आ बेमारके छोइर क शास्त्रीय रूपमे भोजन निषेध कएल गेल ओ बतौलैन । भादब २२ गते रैबदिन दुपहर १ बाइज क ११ मिनटके बाद बाल आ वृद्धबाहेक आनकँे भोजन नै करबाक चाही हुनक कहब छैन । चन्द्र ग्रहण पूर्णिमा आ सूर्यग्रहण अमावश्या तिथिमे लगैत अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय