जलेश्वर (महोत्तरी), २२ कातिकः भारतके बिहार राज्यमे अगिला मङ्गलदिन भ रहल विधानसभा निर्वाचनकेँ लक्षित क महोत्तरी जिलासँ जुड़ल ११ टा सीमानाका आइसँ ७२ घण्टाक लेल बन्द कएल जाएत।
भारतके बिहार राज्यके विभिन्न विधानसभाक सिटमे इएह कातिक २५ गते भ रहल दोसर चरणके निर्वाचनकेँ लक्षित क आइ साँझ ६ बजेसँ कातिक २५ गते साँझ ६ बजे तकके लेल महोत्तरीसँ जुड़ल सब सीमानाका बन्द करबाक सङे उच्च सतर्कता अपनाएल जेबाक महोत्तरिक प्रमुख जिला अधिकारी इन्द्रदेव यादव बतौलैन ।
जिला प्रशासन कार्यालय महोत्तरी एक सूचना जारी करैत शान्ति सूरक्षा व्यवस्थापनक लेल नेपाल–भारत सीमानाकामे मानवीय आकस्मिक सेवाबाहेक आवागमन पूर्ण रुपमे बन्द कएल जेबाक जानकारी देल गेल अइछ । रासस
––





