काठमाण्डू, १३ अगहनः नेपाली यू-१९ समूह एसिया कपक लेल छनाैट भेल अइछ । नेपाल आइ सेमिफाइनलमे मलेसियाकेँ ९ विकेट पराजित करैत एसिया कपमे स्थान सुरक्षित केलक अइछ ।
संयुक्त अरब इमिरेट्स (यूएई)के अजमान मैदानमे मलेसियाक ५२ रनकेँ नेपाल ७.५ ओभरमे एक विकेटके क्षतिमे पूरा केलक । नेपालके वंश क्षेत्री अविजित २३ आ निश्चल क्षेत्री अविजित १५ रन बनेलक । मलेसियाक मोहम्मद अक्राम एक विकेट खसेलक ।
अइसँ पहिने टस हाइर क पहिने ब्याटिङ कएने मलेसिया १७.२ ओभरमे ५१ रनमे अलआउट भेल। ओकरा लेल हमजाह पङ्गी १३, मुहम्मद फतुल मुइन ११ रन बनेलोपर अन्य ब्याटर दोसरो रन नै बना सकल ।
नेपालक लेल नितिस कुमार पटेल चाइर, चन्दन राम तीन, कप्तान अशोक धामी, रोशन विश्वकर्मा आ अपराजित पौडेल एक/एक विकेट लेलक ।
कूल १४ टोलीके सहभागिता रहल ई प्रतियोगितासँ शीर्ष तीन समूह अगिला एसीसी यू-१९ एसिया कपमे छनाैट हएत । यू-१९ एसिया कप अगिला डिसेम्बरमे यूएईेमे भ रहल अइछ । (रासस)





