काठमाण्डू १५ अगहनः दोसर संस्करणके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) अन्तर्गत आइ विश्राम देल गेल अइछ । खेल तालिका अनुसार काइल्ह (मङ्गलदिन) दू खेल हएत । त्रिभुवन विश्वविद्यालय अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट रङ्गशाला, कीर्तिपुरमे भोर ११ः४५ बजे होएबला पहिल खेलमे साविक विजेता जनकपुर बोल्ट्स आ चितवन राइनोज बीच प्रतिस्पर्धा हएत, तँ दुपहर ४ बजे होएबला दोसर खेलमे पोखरा एभेन्जर्स आ कर्णाली याक्स बीच प्रतिस्पर्धा हएत ।
लगातार चाइर खेलमे पराजीत भ तालिकाके अन्तिम स्थानमे भेल जनकपुर काइल्हके खेलमे जीतक खोजीमे रहत । तहिना, समान चाइर खेलमध्ये दू खेलमे जीत हासिल कएने चितवन काइल्हके खेलमे जीतसहित अपन प्लेअफके संभावना मजबुत बनेबाक लक्ष्यमे रहत ।
काइल्हके दोसर खेलमे दूनु टोलीके लेल जीत महत्त्वपूर्ण रहत । दूनु टोली जीतके खोजीमे रहत आ प्लेअफमे पहुँचबाक लक्ष्यसहित मैदान उतरत । चाइर खेलमध्ये एक खेलमे मात्रे जीत हासिल कएने पोखरा काइल्हके खेलमे जीत हासिल करैत प्लेअफके संभावना मजबुत बनेबाक लक्ष्यमे रहत, तँ र्काालीके लेल सेहो काइल्हके खेल महत्त्वपूर्ण रहत ।
अगहन १ गतेसँ सुरु भेल प्रतियोगितामे अखनधैर १९ खेल सम्पन्न भेल अइछ । अपराजित सुदूरपश्चिम रोयल्स मात्रे १० अङ्क जोइड़ क प्लेअफमे पहुँचयबला पहिल टोली अइछ । (रासस)





