जनकपुर, २१ अगहनः मधेश प्रदेशक मुख्य न्यायाधिवक्ता सुरेन्द्र कुमार महतो पदमुक्त भेल अइछ ।
प्रदेश प्रमुख सुरेन्द्रलाभ कर्ण मुख्यमन्त्री कृष्णप्रसाद यादवके सिफारिसमे आइ महतोकेँ पदमुक्त कएल गेल प्रदेश प्रमुखके कार्यालय जनौलक अइछ ।
कार्यालयक निमित्त सचिव सत्रुधन यादव जारी कएल विज्ञप्तिमे प्रदेश प्रमुख मुख्यमन्त्री यादवके सिफारिसमे नेपालके संविधानके धारा १६०के उपधारा (४) (ख) बमोजिम आइएसँ लागू करैत पदमुक्त कएल गेल उल्लेख अइछ । (रासस)





