राष्ट्रिय समाचार समिति
काठमाण्डू, २६ अगहनः निर्वाचन आयोग जनसङ्ख्याके आधारमे समानुपातिक दिसक प्रतिशत निर्धारणके प्रक्रिया आगु बढ़ौलक अइछ । प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन क्षेत्र, २०७४ कएने व्यवस्थाबमोजिम दलित, आदिवासी, जनजाति, खस आर्य, मधेशी, थारू, मुस्लिम समूहके लेल प्रतिशत निर्धारण करए लागल अइछ ।
जनसङ्ख्याके आधारमे समावेशी समूहके प्रतिनिधित्व करेबाक सन्दर्भमे कानुन, न्याय तथा संसदीय मामिला मन्त्रालयके सहसचिव सुभाष कुमार भट्टराईके संयोजकत्वमे निर्वाचन आयोग, सङ्घीय मामिला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्रालय आ राष्ट्रिय तथ्याङ्क कार्यालयके प्रतिनिधि रहेले छ सदस्यीय समिति गठन कएल गेल अइछ ।
समिति राष्ट्रिय जनगणनाके आधारमे समावेशी आधार प्रतिशत निर्धारण क तीन दिन भीतर प्रतिवेदन पेस करबाक कार्यादेश निर्धारण कएल गेल प्रवक्ता नारायण प्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन ।
राष्ट्रिय जनगणना, २०७८ अनुसार जनसङ्ख्याके आधारमे प्रतिशत निर्धारण करबाक आयोगके तैयारी अइछ । ओइ लेल गृहमन्त्री ओम प्रकाश अर्यालक अध्यक्षतामे कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त रामप्रसाद भण्डारी, मुख्यसचिव सुमनराज अर्याल, निर्वाचन आयुक्त डा. जानकी तुलाधरसहितक आयोगके पदाधिकारी, गृहसचिव रामेश्वर दङ्गाल, प्रमुख तथ्याङ्क अधिकृत मधुसुदन बुर्लाकोटी बीच परामर्श कएल गेल आयोगक प्रवक्ता भट्टराई जानकारी देलैन । (रासस)





