सभापति लामिछाने पार्टीक जिमेवारीमे फिर्ता हएत: रास्वपा


काठमाण्डू, ४ पुस : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) उच्च अदालत तुलसीपुर बुटवल इजलासद्वारा पार्टी सभापति रवि लामिछानेकेँ थुनामुक्त करबाक आदेश देलाक स्वागत करैत लामिछाने पार्टीक मुख्य जिमेवारीमे फिर्ता होबाक जनाैलक अइछ।

कार्यवाहक सभापति डोलप्रसाद अर्याल आइ विज्ञप्ति जारी करैत कानूनी आ प्रशासनिक प्रक्रिया पूरा क लामिछाने तुरन्त पार्टीक मूल जिमेवारीमे फिर्ता हएत बतौलैन। ओ पार्टी विधिक शासन, कानूनी सर्वोच्चता आ न्यायिक प्रक्रिया प्रति सधाय प्रतिबद्ध रहबाक उल्लेख सेहो कएने छैथ।

“उच्च अदालत तुलसीपुरके बुटवल इजलास वृहस्पैतदिन पार्टी सभापति रवि लामिछानेकेँ थुनामुक्त करबाक आदेश देलक, ओइ प्रति राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी सम्मान व्यक्त करैत अइछ”, विज्ञप्तिमे कार्यवाहक सभापति अर्याल कहलैन, “कानूनी आ प्रशासनिक प्रक्रिया पूरा भेलाक बाद सभापति लामिछाने पार्टीक मुख्य जिमेवारीमे फिर्ता हएत ।” (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय