वीरगञ्ज नाकासँ ४० अरबके सामान निर्यात


वीरगञ्ज (पर्सा), १० पुसः वीरगञ्ज नाकासँ चालु आर्थिक वर्षके पाँच महिनामे ३९ अरब ९७ करोड़ टकाके सामान निर्यात कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षके पाँच महिनाके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षके ओइ अवधिमे अइ नाकासँ ८९ प्रतिशत अर्थात् १८ अरब ७९ करोड़ टका बेसीके सामान निर्यात कएल गेल अइछ ।

बितल आर्थिक वर्षके पाँच महिनामे २१ अरब १८ करोड़ टकाके सामान विदेशमे निर्यात कएल गेल छल । वीरगञ्ज भंसार कार्यालयके सूचना अधिकृत उदय सिंह विष्ट चालु आर्थिक वर्षके पाँच महिनामे अइ नाकासँ निर्यातमे उल्लेखनीय वृद्धि भेल बतौलैन ।

चालु आर्थिक वर्षके पाँच महिनामे २० अरब ७६ करोड़ टकाके भटमासके प्रशोधित तेल निर्यात कएल गेल अइछ । तहिना, तीन अरब सात करोड़ टकाके फलफूलके जुस निर्यात कएल गेल अइछ । दू अरब ८७ करोड़ टकाके सूर्यमुखीके प्रशोधित तेल, एक अरब ९७ करोड़ टकाके प्रशोधित पाम तेल निर्यात कएल गेल अइछ । तहिना, एक अरब ५० करोड़ टकाके विभिन्न किसिमक कपड़ासभ सेहो निर्यात कएल गेल कार्यालय जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय