काठमाण्डू, २१ पुसः निर्वाचन आयोग ३६ गोटे जिला न्यायाधीशकेँ मुख्य निर्वाचन अधिकृत तथा निर्वाचन अधिकृतके रुपमे जिमेवारी देलक अइछ ।
आयोग रैबदिन ७७ गोटे जिला न्यायाधीशकेँ मुख्य निर्वाचन अधिकृत निर्धारण केलक अइछ । आगामी फागुन २१ गतेके लेल प्रतिनिधि सभा सदस्यके निर्वाचनक मिति निर्धारण कएल गेल अइछ । इएह पुस २५ गतेसँ लागू होबएजँका प्रतिनिधि सभा सदस्य ऐन, २०७४ के दफा ८ बमोजिम न्याय परिषद्क परामर्शमे ८८ गोटेकेँ मुख्य निर्वाचन अधिकृत आ निर्वाचन अधिकृत नियुक्त कएल गेल छल ।
आयोगक अनुसार नियुक्त भेल मुख्य निर्वाचन अधिकृत आ निर्वाचन अधिकृतकेँ अगिला माघ २ गतेसँ अपन निर्वाचन क्षेत्रमे खटबाक लेल निर्देशन देल गेल अइछ । मुख्य निर्वाचन अधिकृत तथा निर्वाचन अधिकृतके कार्यालय स्थापना क निर्वाचनक कार्यक्रम संचालन करबाक लेल आयोग आग्रह केलक अइछ ।
जमा २ सओ ७५ सदस्यीय प्रतिनिधि सभामे प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीसँ १ सओ ६५ गोटे आ समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीमार्फत १ सओ १० गोटे निर्वाचित होबाक व्यवस्था अइछ । (रासस)





