आयोगद्वारा राष्ट्रिय सभा सदस्य निर्वाचनक उम्मेदवारसभक सूची सार्वजनिक


काठमाण्डू, २४ पुसः निर्वाचन आयोग आगामी माघ ११ गते होएबला राष्ट्रिय सभा सदस्य निर्वाचनक लेल बुधदिन भेल उम्मेदवारी मनोनयनके सूची सार्वजनिक केलक अइछ ।

सार्वजनिक सूचीअनुसार १९ पदमे होएबला निर्वाचनक लेल प्रदेशगत रुपमे विभिन्न दलके ४४ गाेटे उम्मेदवार आवेदन देने आयोगक प्रवक्ता नारायण प्रसाद भट्टराईद्वारा जारी विज्ञप्तिमे उल्लेख अइछ । उम्मेदवारीपर आइ उजुरी देबाक समय अइछ, तँ इएह पुस २५ आ २६ गते उजुरीपर जाँचबुझ क नामावली प्रकाशन करबाक, २७ गते उम्मेदवारी फिर्ता ल सकबाक आ २८ गते उम्मेदवारकेँ निर्वाचन चिन्ह प्रदान करबाक कार्यतालिका अइछ ।

उक्त निर्वाचनमे प्रदेश सभा सदस्य, गाउँपालिकाक अध्यक्ष आ उपाध्यक्ष तथा नगरपालिकाक प्रमुख आ उपप्रमुख मतदाता होबाक कानुनी व्यवस्था अइछ । ओएहबमोजिम प्रदेश सभा सदस्य ५ सओ ४५ आ गाउँपालिकाके अध्यक्ष आ उपाध्यक्ष तथा नगरपालिकाके प्रमुख आ उपप्रमुख एक हजार ४ सओ ९८ सहित दू हजार ४३ प्रारम्भिक मतदाता नामावली स्वीकृत भेल मतदातामध्ये प्रदेश सभाक सदस्यके मतभार ५३ आ गाउँपालिकाके अध्यक्ष आ उपाध्यक्ष तथा नगरपालिकाक प्रमुख आ उपप्रमुखके मतभार १९ अइछ ।

उम्मेदवारी मनोनयनके सूची आयोगक वेबसाइट https://election.gov.np/admin/public//storage/National%20Assembly/NA%202082/2082-09-23%20Press%20Release.pdf मे देखबाक व्यवस्था कएल गेल आयोग जनौलक अइछ ।
(रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय