काठमाण्डू, ११ माघः राष्ट्रिय सभामे रिक्त सदस्य चयन करबाक लेल मतदान भ रहल अइछ । २०८२ फागुन २० गतेसँ राष्ट्रिय सभामे १८ सिट (सदस्य) रिक्त हएत । ओइ लेल आइ भोर ९ः०० बजेसँ मतदान सुरु भेल निर्वाचन आयोग जनौलक अइछ ।
मतदान आइ दुपहर ३ः०० बजेधैर जारी रहबाक आयोगक प्रवक्ता नरायण प्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन । रिक्त होएबला १८ पदमध्ये कोशी प्रदेशमे खस आर्यदिस एकटा पदमे निर्विरोध निर्वाचित भेल छल । बाँकी १७ पदक लेल आइ निर्वाचन भ रहल अइछ । कोशी प्रदेशक खस आर्यदिसके उम्मेदवार नेपाली कांग्रेसक सुनिल बहादुर थापा निर्विरोध निर्वाचित भेल छलैन । बाँकी १७ पदक लेल सातो प्रदेशक राजधानीस्थित निर्धारण कएल गेल मतदानस्थल तथा मतदान केन्द्रमे मतदान भ रहल अइछ ।
कोशी प्रदेशक प्रदेश निर्वाचन कार्यालय परिसर विराटनगर मोरङ, मधेश प्रदेशक महेन्द्र नारायण निधि मिथिला संस्कृति केन्द्र जनकपुर उपमहानगरपालिका–४ धनुषा, बागमती प्रदेशक भुटनदेवी माध्यमिक विद्यालय हेटौँडा उपमहानगरपालिका–४ मकवानपुरमे मतदान केन्द्र निर्धारण कएल गेल अइछ ।
तहिना, गण्डकी प्रदेशक प्रदेश निर्वाचन कार्यालय परिसर पोखरा कास्की, लुम्बिनी प्रदेशक कर्मचारी मिलन केन्द्र घोराही दाङ, कर्णाली प्रदेशक प्रदेश निर्वाचन कार्यालय परिसर वीरेन्द्रनगर सुर्खेत आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक प्रदेश निर्वाचन कार्यालय परिसर धनगढी कैलालीमे मतदान भ रहल प्रवक्ता भट्टराई जानकारी देलैन ।
राष्ट्रिय सभा सदस्य निर्वाचनक लेल प्रदेश सभा सदस्य, नगर प्रमुख तथा उपप्रमुख एवं गाउँपालिकाके अध्यक्ष तथा उपाध्यक्ष मतदाता रहबाक व्यवस्था अइछ । प्रदेश सभा सदस्यके मतभार ५३ आ स्थानीय तहके प्रमुख, उपप्रमुखके मतभार १९ होइत अइछ । (रासस)





