सर्लाहीमे सवारी दुर्घटनाः छ महिनामे २९ गोटेके मृत्यु, १ सओ ९० गोटे घायल


बरहथवा (सर्लाही), १८ माघः सवारी दुर्घटनामे सर्लाहीमो चालु आर्थिक वर्षके छ महिनामे २९ गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ १ सओ ९० गोटे घायल भेल अइछ । जिला ट्राफिक प्रहरी कार्यालयके प्रमुख प्रहरी निरीक्षक अशोक साहके कहब अनुसार ओइ अवधिमे छोट नम्बर चाइर पहिया सवारी आ मोटरसाइकलसहित ६ सओ ४१ टा दुर्घटना भेल अइछ ।

दुर्घटनामे मृत्यु होएबलामध्य अधिकांश मोटरसाइकल चालक आ सवार व्यक्ति अइछ । जिलाक भित्री सड़कखण्डमे दुर्घटना बेसी होइत अइछ से ओ जानकारी देलैन । सवारीचालक तथा पैदलयात्री ट्राफिक नियम उल्लङ्घन कएलासँ बेसी विद्यालयके बालबालिका, स्थानीय, पैदलयात्रीकेँ सहभागी करा कार्यालय बेर-बेर ट्राफिक नियमसम्बन्धी सचेतना कार्यक्रम सेहो करैत आएल अइछ ।

तहिना, ओइ अवधिमे ट्राफिक नियम उल्लङ्घन क चलौने सवारी कारबाहीसँ ४८ लाख २८ हजार ५ सओ २ टका राजस्व सङ्कलन भेल अइछ । चालक अनुमतिपत्र नै भेल, हेलमेट नै पहिरने मोटरसाइकल चालक, यात्रा अनुमतिपत्र नै भेल, क्षमतासँ बेसी सामान लोड कएने ट्रकलगायतकेँ कारबाही कएल गेल प्रहरी निरीक्षक साह बतौलैन । पूर्वपश्चिम राजमार्ग तथा भित्री सड़कखण्डमे सेहो विभिन्न समयमे जाँच क ट्राफिक नियम उल्लङ्घन क चलौने सवारीकेँ कारबाही कएल गेल छल ।

प्रहरी लम्बा दूरीके यात्रुवाहक बसमे दू गोटे चालक अनिवार्य कएल गेल विषयमे कड़ाइसँ जाँच करबाक काज करैत आएल अइछ । चालु आर्थिक वर्षके छ महिनामे सात हजार २७ टा लम्बा दूरीके यात्रुवाहक बस जाँचक क्रममे २२ टा नियम उल्लङ्घन कएने भेटलाक बाद कारबाही कएल गेल हुनक कहब छैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय