मुग्लिन–मलेखु सड़कके काज तीन सालमे ३७ प्रतिशत मात्रे


चितवन, १८ माघः पृथ्वी राजमार्गअन्तर्गतके नागढुङ्गा–मलेखु सड़कके काज सम्झौताअनुसार अखनधैर पूरा नै भेल अइछ । सम्झौताअनुसारके तीन सालमे ३७ प्रतिशत मात्रे काज भेलाक बाद आयोजनाके समय छ महिना बढ़ाएल गेल अइछ ।

वि.सं. २०७९ पुस १५ गते तीन सालमे सम्पन्न करैजँका अइ सड़कके ठेक्का सम्झौता कएल गेल छल । मुग्लिन–नागढुङ्गा खण्डकेँ तीन चरण बना बोलपत्र आह्वान कएल गेल छल । तेसर चरणके समय बितल पुस १५ गते समाप्त भेलाक बाद छ महिनाके लेल फेरसँ समय बढ़ाएल गेल अइछ । नागढुङ्गा–मुग्लिन सड़क आयोजनाअन्तर्गत पश्चिम खण्ड मुग्लिन–मलेखु सड़कके इन्जिनियर विजय दरैके कहब अनुसार डिजाइनके तथ्याङ्क गलत भेलासँ सड़कके नक्साङ्कन अलग भेल आ समयमे काज सम्पन्न नै भेलाक कारण निर्माण कम्पनीकेँ १ सओ ८३ दिनक समय देल गेल अइछ ।

निर्माण कम्पनी सड़कके काज करैबला स्थान खाली होबाकमे देरी भेल, गाछ आ खम्बा समयमे नै हटाइब सकल, निर्माण सामग्री सहज रूपसँ प्राप्त नै भेल, सवारीके बेसी दबाबलगायत कारण निर्धारण कएल गेल समयमे निर्माण नै भ सकल बतबैत आएल अइछ । अखनके लेल नक्साङ्कनक विषयकेँ सम्बोधन करैत समय बढ़ाएल गेलाक बादो अन्य विषयमे परामर्श भ रहल इन्जिनियर दरै बतौलैन ।

उक्त खण्डमे अखनधैर ३७ दशमलव ५ प्रतिशत मात्रे काज भेल अइछ । दरैके कहब अनुसार नौ किलोमिटरसँ बेसी पक्की कएल गेल अइछ । धादिङके चरौदी क्षेत्रमे पक्की बनेबाक काज भ रहल अइछ । फिस्लिङलगायत क्षेत्रमे पक्की करबाक तैयारी कएल गेल अइछ ।

नाला, बेरियर, पुललगायत सड़कके विभिन्न क्षेत्रके काज भ रहल अइछ । हुनक कहब अनुसार दैनिक १ सओ ५० गोटे मजदुर काज क रहल अइछ । आयोजनाके दिससँ आवश्यक सहजीकरण क बढ़ाएल गेल समयमे सम्पन्न करैजँका काजकेँ तीव्रता देबाक लेल निर्माण कम्पनीकेँ कहल गेल ओ बतौलैन ।

ओइ खण्डमे ३८ दशमलव ८६ किलोमिटर सड़क पड़ैत अइछ । अइ खण्डमे दू दशमलव दू किलोमिटर छ लेनके सड़क बनत । जे मलेखु, बेनीघाट आ मुग्लिन खण्डमे पड़ैत अइछ । सात दशमलव दू किलोमिटर सड़क चाइर लेनके रहत । चाइर लेन रमाइलो डाँडा, कुरिनटार, फिस्लिङ, चुम्लिङ, मझीमटार, चरौँदी आ विशालटार क्षेत्रमे पड़ैत अइछ । तहिना, तीन लेनके ‘क्लाइम्बिङ’ मार्ग बनेबाक याेजना रहल इन्जिनियर दरै बतौलैन । हुनक कहब अनुसार ‘क्लाइम्बिङ’ मार्ग दू दशमलव तीन किलोमिटरके हएत, तँ बाँकी सड़क दू लेनके रहत ।

शर्मा–जेडआइसिजी चाइर अरब ८० करोड़ ५९ लाख टकामे अइ खण्डके स्तरोन्नतिके ठेक्का लेने अइछ । सड़कके विभिन्न क्षेत्रमे पक्की सङे नाला बनेबाक, भूस्खलन रोकबाक लेल संरचना निर्माण, दिबाल बनेबाक, सड़क सुरक्षालगायत काज बाँकी अइछ । ई सड़क विश्व बैंकके सहयोगमे बनाएल जा रहल अइछ । ई खण्ड काठमाण्डू प्रवेश करए आ बहराएबला मुख्य नाकाके रूपमे अइछ ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय