काठमाण्डू, १९ माघः अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा निर्वाचनक प्रत्यक्षदिस अखनधैर ३० लाख मतपत्र छपाइ सम्पन्न भेल अइछ । निर्वाचन आयोगक अनुसार जमा २५ जिलाके मतपत्र छपाइके काज सम्पन्न भ चुकल अइछ ।
जनक शिक्षा सामग्री केन्द्र भक्तपुरमे मतपत्र छपाइ नियमित रुपमे भ रहल आयोग जनौलक अइछ । समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिस दू करोड़ आठ लाख ३० हजार मतपत्र छपाइ अइसँ पहिने भ चुकल अइछ ।
तहिना, मतदाता शिक्षा प्रयोजनक लेल १० लाख ९८ हजार २ सओ नमूना मतपत्र छपाइ सम्पन्न भ चुकल अइछ । निर्वाचन शिक्षा प्रदान करबाक उद्देश्यसँ आयोगक निर्वाचन सूचना सम्प्रेषण तथा समवंय केन्द्रअन्तर्गत मतदाता शिक्षा एकाइ अखनधैर १ सओ ५८ टा सामग्री आयोगसँ स्वीकृत करा सार्वजनिक कएल गेल अइछ । आयोगक आधिकारिक फेसबुक पेज, एक्स, टिकटक आ युट्युवमे ओ सामग्री राखल गेल अइछ ।
मतदाता, राजनीतिक दल, उम्मेदवार तथा सरोकारवाला लक्षित एहन सामग्रीसँ निर्वाचनक स्वच्छता बढ़ेबाक आ नागरिककेँ आधिकारिक तथा विश्वासनीय सूचना प्राप्त होबाक आ मिथ्या तथा भ्रमपूर्ण सूचनाके प्रभाव कम करबामे सहयोग होबाक विश्वास अइछ ।
प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक बारेमे अन्तर्राष्ट्रिय समुदायकेँ जानकारी करेबाक उद्देश्यसँ आयोगक समवंयमे परराष्ट्र मन्त्रालयसँ काठमाण्डूस्थित कूटनीतिक नियोग एवं संयुक्त राष्ट्र सङ्घीय निकायक प्रमुख तथा प्रतिनिधिकेँ ब्रिफिङ कएल गेल अइछ ।
ओइ कार्यक्रममे आयोग आ गृह मन्त्रालयके प्रतिनिधिके सेहो उपस्थिति छल । जइमे निर्वाचनक वातावरण, निर्वाचन आयोगसँ भेल तैयारी, राष्ट्रिय आ अन्तर्राष्ट्रिय पर्यवेक्षणलगायतक विषयमे जानकारी कराएल गेल आयोगक प्रवक्ता नारायण प्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन । रासस





