काठमाण्डू, २० माघः अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग त्रिभुवन विमानस्थल भंसार कार्यालयके वैदेशिक हुलाक भंसार शाखामे कार्यरत अधिकृत इन्द्र न्यौपानेसहित तीन गोटेकेँ नियन्त्रणमे लेलक अइछ ।
त्रिभुवन विमानस्थल भंसार कार्यालयके वैदेशिक हुलाक भंसार शाखामे कार्यरत भंसार अधिकृत न्यौपाने, ओएह कार्यालयके कार्यालय सहयोगी गणेश प्रसाद पुडासैनी आ संचार तथा सूचना प्रविधि मन्त्रालयअन्तर्गत हुलाक सेवा विभाग गोश्वरा हुलाक कार्यालय, पार्सल (निकासी) शाखामे कार्यरत नायब सुब्बा छवि प्रसाद रिजालकेँ स्रोत नै खुलल रकमसहित साेमदिन नियन्त्रणमे लेल गेल अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक प्रवक्ता सुरेश न्यौपाने जानकारी देलैन ।
ओ कहलैन, “नियन्त्रणमे लेल गेल व्यक्तिसभ कुरियर कम्पनीमार्फत विदेशमे कुरियर क विभिन्न सामान पठाबैत समय सेवाग्राहीसँ रिसवत माँग कएने सूचना एवं उजुरी निवेदनके आधारमे अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग, टङ्गालसँ खटल टोली तिनू गाेटेकेँ नियन्त्रणमे ल थप अनुसन्धान भ रहल छै ।”
पुडासैनीके कार्यकक्षमे भेल टेबलके दराजसँ रिसवतबापत लेल गेल १० हजार टका, ओएह दराजमे स्रोत नै खुलल ४० हजार ३ सओ ५० टका आ स्रोत नै खुलल थप ९६ हजार ७० टका, नायब सुब्बा रिजालसँ रिसवतबापत लेल गेल २० हजार टका, स्रोत नै खुलल १८ हजार ८ सओ ४८ टका आ अन्य स्रोत नै खुलल रकमसहित दू लाख ६८ हजार २ सओ ८८ टका तथा विभिन्न व्यक्तिसँ लेल गेल मोबाइल २३ टा सेहो नियन्त्रणमे लेल गेल प्रवक्ता न्यौपाने बतौलैन ।रासस
Imagesourse:greattibettour.com





