महेन्द्रनगर (धनुषा), २२ माघः उज्यालो पार्टीके अध्यक्ष कुलमान घिसिङ जनताके अपेक्षा आ आवश्यकताकेँ केन्द्रमे राखैत पार्टी आगू बइढ़ रहल आ सुशासन, पारदर्शिता आ विकास हमरासभहक प्राथमिकतामे रहल बताैलैन अइछ ।
आइ जनकपुरधाममे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे ओ समसामयिक राजनीतिक अवस्था आ पार्टीके अगिला कार्ययोजनाबारे बातचित कएने अइछ ।
पत्रकार सम्मेलनमे अध्यक्ष घिसिङ मधेश क्षेत्रके विकास, रोजगारी सिर्जना आ युवाके सहभागिता बढ़ेबाक लेल विशेष कार्यक्रम अनबाक जानकारी देलैन अइछ ।
वर्तमान राजनीतिक व्यवस्थाप्रति जनतामे बढ़ैत निराशाकेँ सम्बोधन करए लेल वैकल्पिक राजनीति आवश्यक रहल बताैलैन । संगे, उज्यालो पार्टी जनताके आवाज बनबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । रासस
Imagesource:republicaimg.nagariknewscdn.com





