मधेशी आयोगद्वारा सातम वार्षिक प्रतिवेदन प्रदेश प्रमुखसमक्ष पेस


महेन्द्रनगर (धनुषा), २५ माघः मधेशी आयोग आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे सम्पन्न कएल गेल गतिविधि, पहल आ उपलब्धीसहितक सातम वार्षिक प्रतिवेदन मधेश प्रदेश प्रमुख डा. सुरेन्द्र लाभसमक्ष प्रस्तुत केलक अइछ । प्रदेश प्रमुखके कार्यालयमे आइ आयोजित कार्यक्रममे आयोगक अध्यक्ष जीवछ साह नेपालक संविधानके धारा २९४ के उपधारा (३) अनुसार आर्थिक वर्ष २०८१/८२ के वार्षिक प्रतिवेदन पेस केलैन ।

प्रतिवेदनमे मधेशी समुदायक अधिकार संरक्षण, सामाजिक न्यायके प्रवर्द्धन, समावेशी विकास तथा नीतिनिर्माणक क्षेत्रमे आयोग कएने कामकारबाही विस्तृत रूपमे समेटल गेल अइछ । कार्यक्रममे प्रदेश प्रमुख लाभ मधेशी समुदायके हकहित सुनिश्चित करबाक लेल आयोगक भूमिका महत्त्वपूर्ण भेल उल्लेख केलैन । प्रतिवेदनमे समावेश कएल गेल सुझाव आ निष्कर्षकेँ कार्यावयन करबाक लेल सम्बन्धित निकायके गम्भीर ध्यान देबाक आवश्यक भेल ओ बतौलैन ।

प्रतिवेदनसँ मधेशी समुदायक समग्र विकास, अधिकार प्रवर्द्धन तथा राज्यके नीति आ कार्यक्रमकेँ आओर प्रभावकारी बनेबाक लेल मार्गदर्शन करबाक विश्वास कएल गेल प्रदेश प्रमुख कार्यालयके निमित्त सचिव सत्रुधन यादव जानकारी देलैन । कार्यक्रममे प्रदेश सरकारक उच्च अधिकारी, मधेशी आयोगक पदाधिकारी तथा कर्मचारीसभक उपस्थिति छलैन ।रासस

Imagesourse:onlinekhabar.com

ताजा खबर
लोकप्रिय