काठमाण्डू, ३ फागुनः नेपाली सेना आइ अपन स्थापनाके २ सओ ६३म वार्षिकोत्सव देशभैर विविध कार्यक्रमक आयोजन क मनाइब रहल अइछ ।
राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलक प्रमुख आतिथ्यमे सैनिक टुँडिखेलमे आइ महाशिवरात्रि बढ़ाइँ तथा सेना दिवस विशेष समारोहक आयोजन कएल गेल अइछ । राष्ट्रपति पौडेल प्रनेपाली सेनाके परमाधिपति सेहो छैथ ।
नेपाली सेना महाशिवरात्रि दिनकेँ सेना दिवसके रूपमे मनाबैत आएल अइछ ।
जङ्गीअड्डामातहत पृतना, बाहिनी, गण आ गुल्म तथा कूटनीतिक नियोग आ शांति मिसनमे सेहो आइ विभिन्न कार्यक्रम क सेना दिवस मनाएल जाएत से सैनिक प्रवक्ता राजाराम बस्नेत जानकारी देलैन ।
नेपालक स्वतन्त्रता, भौगोलिक अखण्डता तथा सार्वभौमसत्ता रक्षाक लेल इतिहासक विभिन्न कालखण्डमे नेपाली सेना उदाहरणीय आ कीर्तिमानी काज करैत आएल अइछ ।
वर्तमान सेनाके साङ्ठनिक स्वरूपके १८१९ सालसँ सुरुआत भेल छल । देशभक्ति, समर्पण आ आमनेपालीक हितकेँ केन्द्रविन्दुमे राइख सम्पादन कएने गौरवशाली काजसँ नागरिकके बीचमे सेना अपन आस्था आ विश्वासके अटल छाप कायम करबामे सफल भेल अइछ ।
आसन्न प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनकेँ स्वच्छ, स्वतन्त्र, निष्पक्ष आ भयमुक्त वातावरणमे सम्पन्न करबाक लेल नेपाली सेनाके नेतृत्वमे एकीकृत सुरक्षा योजना कार्यावंयनमे अइछ ।रासस





