जेनजी आन्दोलनमे लुटल गेल पेस्तोल आ गोली बरामद


झापा, ४ फागुनः जेनजी आन्दोलनक क्रममे इलाका प्रहरी कार्यालय अनारमनीसँ लुटल गेल एकटा पेस्तोल आ ४० राउन्ड गोलीसहित प्रहरी एक गोटेकेँ गिरफ्तार केलक अइछ ।

कनकाई नगरपालिका–८ के २२ वर्षक सुजय राजवंशीकेँ गिरफ्तार कएल गेल जिला प्रहरी कार्यालयके प्रवक्ता खगेन्द्र बहादुर खड्का जानकारी देलैन ।

स्थानीय तुल बहादुर थापा मगरके घरमे अवैध हातहतियार आ लागूऔषध नुका क राखल गेल विशेष सूचनाक आधारमे प्रहरी रैबदिन छापा मारने छल ।

ओइ क्रममे तुल बहादुरके २२ वर्षक बेटा सौगात थापा मगर घर पाछु मुर्गा पालल गेल घरमे प्लास्टिकके ड्रममे नुका क राखने ९ सओ ८९ एमएमके पेस्तोल एकटा आ गोली ४० राउन्ड बरामद कएल गेल प्रहरी जनौलक अइछ ।

घटनामे संलग्न सौगात फारर रहल प्रवक्ता खड्का जानकारी देलैन ।

लुटपाटमे संलग्न राजवंशीकेँ मुलुकी अपराधसंहिता २०७४ बमोजिम कारबाही होबाक ओ बतौलैन । रासस

Imagesourse:onlinekhabar.com

ताजा खबर
लोकप्रिय