अफगानिस्तानमे २३ लाख नागरिककेँ मानविय सहयोग आवश्यकः युनिसेफ


काबुल, ४ फागुनः संयुक्त राष्ट्र बाल कोष (युनिसेफ) अफगानिस्तानमे करिब २२ लाख नौ हजार नागरिककेँ मानविय सहयोगक आवश्यकता भेल जनौलक अइछ । ओइमध्य करिब १२ लाख बालबालिका अइछ ।

प्रतिवेदन अनुसार सुक्खा, बाइढ़, आर्थिक स्थिरताके कमी आ बेरोजगारीके कारण मानविय आवश्यकता बढ़ल अइछ । मौसमके असरसँ खाद्य अभाव बेसी भेल प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ ।

स्वास्थ्य, पोषण, पाइन आ सरसफाइ जेहन महत्त्वपूर्ण क्षेत्रमे वित्तीय अभाव रहल युनिसेफके कहब अइछ । अइसँ सेवा वितरणमे समस्या भेल आ आवश्यक जीवनरक्षक सामग्री आपूर्ति अवरुद्ध होबाक चिन्ता बढ़ल अइछ ।

अफगानिस्तानमे मानविय सहयोगक आवश्यक रहल आ तत्काल निर्णय करबाक चाही तइपर जोड़ देल गेल अइछ । रासस/सिन्ह्वा

Imagesourse:Socialmedia

 

ताजा खबर
लोकप्रिय