सार्वजनिक बिदाके दिन सेहो राहदानी विभाग खुला रहत


काठमाण्डू, ६ फागुनः सार्वजनिक बिदाके दिन सेहो राहदानी विभाग अपन सेवा जारी रहबाक जनौलक अइछ । विभाग सार्वजनिक सूचनामार्फत आइ आ काइल सार्वजनिक बिदा भेलाक बादो राहदानी वितरणलगायतक काजक लेल विभाग खुला रहबाक जनौलक अइछ ।

सरकार आइ ग्याल्पो ल्होछार आ काइल वृहस्पैतदिन प्रजातन्त्र दिवसके उपलक्ष्यमे सार्वजनिक बिदा देलक अइछ । दूनु दिन भोर १० बजेसँ दुपहर १ बजेधैर विभाग खुला रहत ।

विभाग आइ राहदानी वितरण सेवा प्रदान करबाक काज भ रहल जनौलक अइछ । तहिना, वृहस्पैतदिन राहदानीके लेल आवेदन फारम सङ्कलन होबाक जनौलक अइछ । अत्यावश्यक सेवा भेलाक कारण सार्वजनिक बिदाके दिन सेहो कार्यालय खुला रहबाक विभाग स्पष्ट केलक अइछ । रासस
Imagesourse:notebazar.com

ताजा खबर
लोकप्रिय