धर्मेन्द्र विह्वल
१) स्वीकारैत छी
हम पूर्ण नहि छी
अपेक्षा किए ?
२) उडलाैं हम
जहाजो छै उडल
आधार- पृथ्वी ।
३)बन्हाएल छी
जहाजsक कुर्सीमे
जीवनेजकाँ ।
४)देखै छी हम
आकाश सँ धराके
सृष्टि नीक छै !
५)हम हम छी
मात्र सन्दर्भ नै छी
सत्य छैक ई ।
६) कि कहू हम ?
शृष्टिक परिभाषा
आहाँ आ हम ।





