सिरहा, १४ फागुनः जाली नोटके ओसारपसार नियन्त्रण तथा आमनागरिककेँ सचेत करेबाक उद्देश्यसँ सिरहामे ‘जाली नोट पहिचानसम्बन्धी सचेतना कार्यक्रम’क आयोजन कएल गेल ।
नेपाल राष्ट्र बैंक जनकपुर कार्यालयद्वारा बुधदिन जिला सदरमुकाममे आयोजित कार्यक्रममे नेपाल प्रहरी, विभिन्न सङ्घ–संस्था, बैंक तथा वित्तीय संस्थाक प्रतिनिधि, व्यवसायी तथा स्थानीयवासीके सहभागिता छल ।
कार्यक्रममे राष्ट्र बैंक, जनकपुर कार्यालयके निर्देशक डिलाराम सुवेदी जाली नोटके पहिचान करबाक तरिका, बजारमे देखल गेल प्रवृत्ति तथा जाली नोट नियन्त्रणक कानुनी व्यवस्थाके बारेमे जानकारी करौलैन ।
बितल समय सीमावर्ती क्षेत्रसँ जाली नोट आनबाक क्रम बइढ़ रहलाक कारण सचेतना कार्यक्रमकेँ अभियानक रूपमे आगु बढ़ाएल गेल ओ बतौलैन ।
बैंकके सहायक निर्देशक सुरेन्द्र कुमार साह कार्यपत्र प्रस्तुत करैत नेपाली टका ५ सओ आ एक हजारमे भेल सुरक्षा विशेषताके बारेमे जानकारी देलैन ।
सहभागी बैंक तथा वित्तीय संस्थाक प्रतिनिधिसभ प्रविधिके प्रयोगमार्फत नोट परीक्षण प्रणालीकेँ आओर प्रभावकारी बनेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।
जिला प्रहरी कार्यालय आबैबला समयमे विद्यालय, सहकारी संस्था तथा ग्रामीण क्षेत्रमे सेहो एहन सचेतनामूलक कार्यक्रम विस्तार करबाक जनौलक अइछ । जाली नोटके जोखिम कम करबाक लेल समुदाय आ प्रहरी बीचक सहकार्य अपरिहार्य भेलपर जोड़ देल गेल ।
जाली मुद्रासम्बन्धी कसुरमे मुलुकी अपराधसंहिता, २०७४ के दफा २५६ अनुसार पाँचसँ दश वर्षधैर कैद तथा ५० हजारसँ एक लाख टकाधैर जरिवानाके व्यवस्था रहल जानकारी देल गेल छल । रासस





