काठमाण्डू, १९ चैतः दाहाल प्रतिष्ठान ‘पद्मप्रसाद–कृष्ण कुमारी दाहाल सामाजिक सम्मान पुरस्कार-२०८२’ समाजसेवी एवम् अभियन्ता रामरिझन यादवकेँ प्रदान करबाक भेल अइछ ।
चाइर दशकसँ बेसी समयसँ समाजसेवा, पत्रकारिता, प्राध्यापन, लेखन आ विभिन्न अभियानक माध्यमसँ सद्भाव प्रवर्द्धन तथा भाइचारा वृद्धिमे क्रियाशील यादवकेँ एक लाख एक हजार टका नगद राशीसहितके पुरस्कार प्रदान कएल जेबाक प्रतिष्ठानक महासचिव सूर्य कुमार दाहाल जानकारी देलैन ।
वि.सं. २०१६ फागुन १७ गते सिरहाके सनैठामे जन्मल यादवके लेखन तथा सम्पादनमे नेपाली आ मैथिली भाषामे वातावरणीय समस्या, समाधान, विज्ञान, वातावरणसहित आठ टा कृति प्रकाशित छै।
भाषा आ संस्कृति प्रवर्द्धनक लेल अनवरत क्रियाशील वरिष्ठ पत्रकार यादव नेपाल पत्रकार महासङ्घद्वारा स्वतन्त्रता सेनानी सम्मान, वातावरण पत्रकारिता पुरस्कारसहित दर्जनौँ सम्मान तथा पुरस्कार प्राप्त क चुकल छैथ ।
विराटनगर निवासी समाजसेवी बद्रीप्रसाद पहाड़ी दाहाल अपन मातापिताके स्मृतिमे दश लाख टकाके अक्षयकोष स्थापना कएने छल । सएह प्राप्त ब्याजसँ ई सम्मान/पुरस्कार प्रदान करबाक निर्णय कएल गेल कोष सञ्चालक समिति जनौलक अइछ । (रासस)





